डोमिन बेटी सुप नेने ठाढ़ छै
उगऽ हो सुरुज देव,
अरघ केर बेर
हो पुजन केर बेर
मालिन बेटी फूल नेने ठाढ़ छै
उगऽ हो सुरुज देव,
अरघ केर बेर
हो पुजन केर बेर
निर्धन-कोढ़ी बाट-घाटे ठाढ़ छै
उगऽ हो सुरुज देव
अरघ केर बेर
हो पुजन केर बेर
पान-सुपारी पकबान नेने ठाढ़ छै
विप्र नेने ठाढ़ छै
उगऽ हो सुरुज देव
अरघ केर बेर
हो पुजन केर बेर
शिव सन्यासी से मरघट वासी से: भजन (Shiv Sanyasi Se Marghat Wasi Se)
नामावलि: श्री गणेश अष्टोत्तर नामावलि (108 Shri Ganesh Ji)
अन्नपूर्णा चालीसा (Annapurna Chalisa)
Post Views: 170