बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया,
अहाँ के दुअरिया ना,
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी,
भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना ॥
अइलों बड़ बड़ आस लगायल,
होहियो हमरा पर सहाय,
अइलों बड़ बड़ आस लगायल,
होहियो हमरा पर सहाय,
एक बेरी फेरी दियौ,
हो एक बेरी फेरी दियौ,
गरीब पर नजरिया,
अहाँ के दुअरिआ ना ॥
हम बाघम्बर झारी ओछायब,
डोरी डमरू के सरियाएब,
हम बाघम्बर झारी ओछायब,
डोरी डमरू के सरियाएब,
कखनो झारी बुहराब,
हो कखनो झारी बुहराब,
बसहा के डगरिया,
अहाँ के दुअरिया ना ॥
हम गंगाजल भरी भरी लायब,
बाबा बैजू के चढ़ायब,
हम गंगाजल भरी भरी लायब,
बाबा बैजू के चढ़ायब,
बेलपत चन्दन हो बेलपत चन्दन,
चढ़ायब फूल केसरिया,
अहाँ के दुअरिया ना ॥
नर्मदा चालीसा - जय जय नर्मदा भवानी (Narmada Chalisa, Jai Jai Jai Narmada Bhawani)
हे प्रभो आनंद-दाता ज्ञान हमको दीजिए - प्रार्थना (Hey Prabhu Anand Data Gyan Humko Deejiye)
मुझे रास आ गया है, तेरे दर पे सर झुकाना - भजन (Mujhe Ras Agaya Hai Tere Dar Pe Sar Jhukana)
कतेक अधम के अहाँ तारलों,
कतेक पतित के उबारलों,
कतेक अधम के अहाँ तारलों,
कतेक पतित के उबारलों,
बाबा एक बेर फेरी दियौ,
हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना,
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी,
भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना ॥