बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया – भजन (Baba Baijnath Hum Aael Chhi Bhikhariya)

jambh bhakti logo

बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया,
अहाँ के दुअरिया ना,
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी,
भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना ॥

अइलों बड़ बड़ आस लगायल,
होहियो हमरा पर सहाय,
अइलों बड़ बड़ आस लगायल,
होहियो हमरा पर सहाय,
एक बेरी फेरी दियौ,
हो एक बेरी फेरी दियौ,
गरीब पर नजरिया,
अहाँ के दुअरिआ ना ॥

हम बाघम्बर झारी ओछायब,
डोरी डमरू के सरियाएब,
हम बाघम्बर झारी ओछायब,
डोरी डमरू के सरियाएब,
कखनो झारी बुहराब,
हो कखनो झारी बुहराब,
बसहा के डगरिया,
अहाँ के दुअरिया ना ॥

हम गंगाजल भरी भरी लायब,
बाबा बैजू के चढ़ायब,
हम गंगाजल भरी भरी लायब,
बाबा बैजू के चढ़ायब,
बेलपत चन्दन हो बेलपत चन्दन,
चढ़ायब फूल केसरिया,
अहाँ के दुअरिया ना ॥

अच्युतस्याष्टकम् - अच्युतं केशवं रामनारायणं (Achyutashtakam Acyutam Keshavam Ramanarayanam)

हे शिव भोले मुझ पर, दो ऐसा रंग चढ़ाय: भजन (Hey Shiv Bhole mMujhpar Do Aisa Rang Chadaye)

ॐ सर्वेशां स्वस्तिर्भवतु मंत्र (Om Sarvesham Svastir Bhavatu)

कतेक अधम के अहाँ तारलों,
कतेक पतित के उबारलों,
कतेक अधम के अहाँ तारलों,
कतेक पतित के उबारलों,
बाबा एक बेर फेरी दियौ,
हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना,
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी,
भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना ॥

Picture of Sandeep Bishnoi

Sandeep Bishnoi

Leave a Comment